‘प्रदेश सरकारक कृषिमे आधारित अनुदान कार्यक्रम’

राजविराज, २९ अखार । प्रदेश २ सरकारद्वारा कोरोना भाइरस (कोभिड–१९)के प्रभाव न्यूनिकरण करबाक हेतु कृषि ऋणके ब्याजमे राहत तथा व्यवसाय पुर्नस्थापनाके लेल सुरु कएल गेल अनुदान कार्यक्रम अन्तर्गत सोमदिनसँ चेक हस्तान्तरण काज सुरु भेल अछि ।

भाइरसक नियन्त्रण तथा रोकथामक लेल सुरु कएल गेल बन्दाबन्दीके कारणे कृषकसबमे परल प्रभावके न्यून करबाक हेतु अनुदान कार्यक्रम आनल गेल अछि । सप्तरीसँ सुरु कएल गेल अनुदान कार्यक्रम अन्तर्गत सोमदिन राजविराजमे आयोजित एक कार्यक्रमकबीच भुमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्री शैलेन्द्र प्रसाद साहद्वारा सम्वन्धित बैंकके चेक हस्तान्तरण कएल गेल अछि ।

चेक हस्तान्तरण करैत मन्त्री साह बन्दाबन्दीके कारणे समस्यामे परल कृषकसबके अनुदान रकमसँ किछु हदधरि राहत पहुचबाक विश्वास व्यक्त केलथि । कृषि क्षेत्रदिस प्रदेश सरकार गम्भिरतापूर्वक लागलासँ अनुदान कार्यक्रममे नहि परल कृषकसभक लेल सेहो राहत उपलब्ध करेबाक विषयमे काज भ’रहल ओ जानकारी देलथि ।

कार्यक्रम अन्तर्गत ब्याज अनुदानदिस ४ हजार ४९४ गोटय कृषकके ३ करोड ३ लाख ५५ हजार ९६३ टका उपलब्ध कराओल गेल अछि त कृषि बाली, व्यवसाय पुर्नस्थापनादिस १ सय ४१ गोटय कृषकके २३ लाख २१ हजार २६९ टका उपलब्ध कराओल गेल अछि ।

तहिना, पशुपंक्षी अनुदानदिस १६६ गोटय कृषकके ९७ लाख ६० हजार ३४० टकासहित कुल ४ करोड २४ लाख ३७ हजार ५७२ टका बराबरके चेक हस्तान्तरण कएल गेल कृषि ज्ञान केन्द्र राजविराज जनौलक अछि । कृषि ज्ञान केन्द्रके अनुसार सप्तरीमे ६ हजार ५७२ गोटयद्वारा अनुदानक लेल देल गेल आवेदनमध्ये ४ हजार ८०१ गोटय कृषकके अनुदान उपलब्ध कराओल गेल अछि । कार्यक्रममे जिल्ला समन्वय समिति सप्तरीक प्रमुख प्रभाकरण यादव, प्रमुख जिल्ला अधिकारी शंकरहरि आचार्य लगायतक उपस्थिति छल ।

Author:



क्याटोगरी छान्‍नुहोस